Advertisement
ताजा खबर
हँ, हम गमछा छी थमन विक हत्या प्रकरणः पुर्व सांसद लक्षमी महतो कोईरी जलेश्वर कारागार चलान मनरा सिसवा नगरपालिका महोत्तरीको तेस्रो साक्षर पालिका घोषणा, ९६.२ प्रतिशत नागरिक साक्षर पेट्रोल, डिजेल र एलपी ग्यासको मूल्य घट्यो स्वास्थ्य, शिक्षा र समाजिक बिकाशलाई प्राथमिकतामा राख्न सभामुख यादवको सुझाव, एकडारा गाउँपालिकाद्वारा ३७ करोडभन्दा बढीको अनुमानित बजेट सार्वजनिक एकडारा गाउँपालिकाको १६औँ गाउँसभा सुरु, नीति तथा कार्यक्रम तथा बजेट प्रस्तुत हुँदै रामगाेपालपुर नगरपालिकाको ४९करोड ५३ लाख भन्दा बडीको बजेट सार्वजनक सुपर ओभरको रोमाञ्चक भिडन्तमा गौशालामाथि सोनमा गाउँपालिकाको शानदार जित महोत्तरी जिल्ला पालिका स्तरीय क्रिकेट: उद्घाटन खेलमा साेनमा गाउँपालिका  पराजित मिथिलाक संस्कृति, सभ्यता आ आत्मीयताक जीवित दस्तावेज , बिबाहक बरियाती
हँ, हम गमछा छी थमन विक हत्या प्रकरणः पुर्व सांसद लक्षमी महतो कोईरी जलेश्वर कारागार चलान मनरा सिसवा नगरपालिका महोत्तरीको तेस्रो साक्षर पालिका घोषणा, ९६.२ प्रतिशत नागरिक साक्षर पेट्रोल, डिजेल र एलपी ग्यासको मूल्य घट्यो स्वास्थ्य, शिक्षा र समाजिक बिकाशलाई प्राथमिकतामा राख्न सभामुख यादवको सुझाव, एकडारा गाउँपालिकाद्वारा ३७ करोडभन्दा बढीको अनुमानित बजेट सार्वजनिक एकडारा गाउँपालिकाको १६औँ गाउँसभा सुरु, नीति तथा कार्यक्रम तथा बजेट प्रस्तुत हुँदै रामगाेपालपुर नगरपालिकाको ४९करोड ५३ लाख भन्दा बडीको बजेट सार्वजनक सुपर ओभरको रोमाञ्चक भिडन्तमा गौशालामाथि सोनमा गाउँपालिकाको शानदार जित महोत्तरी जिल्ला पालिका स्तरीय क्रिकेट: उद्घाटन खेलमा साेनमा गाउँपालिका  पराजित मिथिलाक संस्कृति, सभ्यता आ आत्मीयताक जीवित दस्तावेज , बिबाहक बरियाती

हँ, हम गमछा छी

प्रतिक्षा खबर
२०८३ असार २०, शनिबार १६:१६

गोपाल झा , महोत्तरी , अषाढ २० गते

ओहि गमछामे सँ एक हम ओ गमछा छी , जकरा अहाँ सभ दिन काँन्ह पर रखने घुमैत छी, रौदमे माथ पर बाँन्हि लैत छी, पसिना पोंछि लैत छी, अतिथि अबैत छथि तँ सम्मानक प्रतीक बना दैत छी , आ काज सम्मन्न होइतहि खूंटी उपर टाँगि कय बिसरि जाइत छी ।

हमरा पर कखनो कोनो कविता नहि लिखल गेल, हमर सम्मानमे कखनो पुरस्कार नहि देल गेल, हमर नाम पर कोनो दिवस घोषित नहि भेल । मुदा हमरा एतबे संतोष अछि जे अहाँक सभ्यता जतेक पुरान अछि, ओतबे पुरान हमर संग सेहो अछि ।

हमर जन्म करघाक खटर–पटर ध्वनिमे होइत अछि । बुनकरके अँगुर जखन सूतकेँ तिरि कय बनबैत अछि, तखन हमर देह आकार लैत अछि । हमर प्रत्येक सुतमे  श्रमिकक पसिना, स्त्रीक प्रार्थना, परिवारक आशा आ माटिक गन्ध बुनल रहैत अछि ।

हम जन्मे सँ जानैत छी—हमरा संग्रहालयमे नहि, लोकजीवनमे जीबयके अछि ।

हम कोनो राजा–महाराजाक मुकुट नहि छी, मुदा किसानक माथक छाँह अवश्य छी । हम कोनो मन्त्रीक कुर्सी नहि छी, मुदा मजदूरक काँन्हक सहारा अवश्य छी । हमरा उपर कखनो सोना–चानीक कढ़ाइ नहि भेल, मुदा पसिनाक नूनक चमक सदा रहैत अछि ।          मनुख बड़ा विचित्र जीव अछि ।

ओ हमरा “साधारण कपड़ा“ कहैत अछि । मुदा चैत बैसाखक रौद जखन माथ फोड़ैत अछि, तखन हमरा खोजैत अछि । जखन नहा कय बाहर अबैत अछि , तखन हमरा बिना अधूरा बुझैत अछि । पूजा करए बैसैत अछि तँ हमर शुद्धता चाहैत अछि । अतिथिक सम्मान करैत अछि तँ हमर गरिमा चाहैत अछि । मुदा काज सम्पन्न  होइतहि फेर हम साधारण भय  जाइत छी । एहि दुनियामे शायद उपयोगिताक सभसँ पैघ दण्ड उपेक्षा होईत अछि ।

हमरा सबसँ बेसी हँसी राजनीति पर अबैत अछि ।   चुनावक समय भाषन बेरमे हमर खूब पूछ होइत अछि । नेता हमरा काँँह पर राखिक जनताके बीच जाइ छथि । हमर सहारासँ अपन माटिसँ जुड़ल देखाबय चाहैत छथि । फोटो खिचाइत अछि, भाषण होइत अछि, नारा लगैत अछि । मुदा सत्ताक कुर्सी भेटिते सभ सँ पहिने हमरा त्याग क देल जाईत अछि । फेर हमर स्थान अलमारीक एकटा कोन वा गाड़ी पोछबाक कपड़ामे बदलि जाइत अछि ।

हम सोचैत छी—मनुख रंग बदलैत अछि कि गमछा ?

आधुनिकता सेहो कम मनोरञ्जक नहि अछि ।

विदेशी ब्राण्डक स्कार्फ गर्दैन पर सजैत अछि, मुदा घर आबिते ओहि स्कार्फकेँ उतारि कय हमरे खोजल जाइत अछि । कारण स्कार्फ फोटो सुन्दर बनबैत अछि, हम जीवन सहज बनबैत छी ।  फोटो आ जीवनक अन्तर शायद एतबे अछि । मिथिलामे त हमर कथा आरो अधिक गहीर अछि ।     विवाहमे वरक काँन्ह पर हम रहैत छी । पुरोहितके पूजा हमरा बिना पूर्ण नहि होईत अछि । कन्यादानक पवित्र क्षणमे हम साक्षी रहैत छी । नवदम्पतिक आशीर्वादमे हमर स्पर्श रहैत अछि । अतिथिक सम्मान हमरे माध्य सँ होइत अछि । मुदा जखन विवाहक चलचित्र बनैत अछि, निर्देशक कहैत छथि—“गमछा हटा दिअ, दृश्य आधुनिक नहि लागत ।

आधुनिकता यदि अपन जीड ़सँ लजाबए सिखबैत अछि, तँ ओ प्रगति नहि, विस्मृति अछि ।  हमर जीवनक अन्त सेहो विचित्रे होइत अछि ।

जखन हम नव रहैत छी , काँन्हक शोभा छी । किछु वर्ष बाद भनस घरके भतपसौना कपड़ा बैन जाईत छी । फेर गाड़ी पोछैत छी । अन्तमे जुत्ता चमकबैत–चमकबैत चुपचाप समाप्त भऽ जाइत छी । हमर कोनो शोकसभा नहि होइत अछि ।

मुदा हम मरैत नहि छि । हम फेर सूतक रूपमे, करघाक गीतमे, बुनकरक अाँगरमे, किसानक पसिनामे, नव गमछाक रूपमे जन्म लैत रहैत छी । हम सोचैत छी—असल अमरत्व स्मारकमे नहि, उपयोगितामे बसैत अछि ।

एखनो गामक कोनो बूढ़ बाबा हमरा बिना कतौ नहि जाइ छथि । एखनो किसान धान रोपैत बेर हमरा माथ पर बान्हैत अछि । एखनो कियो अतिथि अबैत छथि तँ सम्मानस्वरूप गमछा ओढ़ाओल जाइत अछि । एखनो मन्दिरमे पुजारी हमर उपयोग करैत छथि । तखन बुझाइत अछि—सभ्यता पूर्णतः समाप्त नहि भेल अछि; ओकर साँस एखनो चलि रहल अछि ।

हम कपड़ा नहि, लोकस्मृति छी ।  हम धागा नहि, पीढ़ीसभकेँ जोड़निहार सम्बन्ध छी । हम देहक घाम पसिना पोछैत छी, मुदा संगहि मनुखक अहंकार पर सेहो चुपचाप प्रश्नचिह्न लगा दैत छी ।

अहाँ कहैत छी—समाज बदलि रहल अछि ।

हम कहैत छी—बदलू, अवश्य बदलू । मुदा बदलैत–बदलैत एतेक दूर नहि चलि जाउ जे अपन काँन्ह पर राखल गमछा आ अपन माटिक गन्ध दुनू बिसरि जाउ । किएक तँ जखन मनुख अपन प्रतीक सभकेँ त्यागि दैत अछि, तखन ओ धीरे–धीरे अपन इतिहास, अपन संस्कृति आ अन्ततः अपनहि पहिचान गँवा दैत अछि ।

तेँ फेर एक बेर कहैत छी — हँ, हम गमछा छी ।

हम सम्मान छी, श्रम छी, अपनत्व छी ।  हम मिथिलाक लोकआत्माक ओ मौन शब्द छी , जे बजैत कम छि, मुदा सभक जीवनमे प्रतिदिन अपन उपस्थिति दर्ज करबैत रहैत छि ।

हँ, हम गमछा छी ।

तपाईको प्रतिक्रिया !

ADVERTISEMENT

ताजा खबर


सम्बन्धित खबर